आईआईटी आ एनआईटी क लेल 800 एकड़ जमीन अधिग्रहीत

पटना बिहटा आओर ओकर आसपास क क्षेत्र मे मेगा औद्योगिक परिसर विकसित करबा लेल 800 एकड़ जमीन अधिग्रहीत कैल जा चुकल अछि। बियाडा क भूमि बैंक कए एजेंसी बनाउल गेल अछि। आईआईटी आ एनआईटी क स्थायी परिसर क निर्माण क लेल भूमि उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। भूमि अधिग्रहण क प्रक्रिया क समीक्षा क लेल विज्ञान आ प्रौद्योगिकी निदेशक भगवान सिंह क अध्यक्षता मे कमेटी बनाउल गेल अछि। समिति एकरा सहमति द देलक अछि।
जानकारी क अनुसार आईआईटी क स्थायी परिसर क लेल 500 आ एनआईटी क लेल 300 एकड़ जमीन उपलब्ध कराउल जाइत । एखन धरि 890.21 एकड़ भूमि अधिग्रहीत भ चुकल अछि। फिलहाल प्रशासन क दिस स आईआईटी क स्थायी परिसर क लेल मौजा अमहारा मे 195.34 एकड़ आ 167.22 एकड़, दौलपुर दयालपुर मे 67.15 एकड़ आ 17.51 एकड़, दिलालपुर मे 195.34 आ 24.65 एकड़ जमीन अधिग्रहीत भ चुकल अछि। एहिना एनआईटी क लेल डुमरी पार्ट-2 मे कुल 229.21 एकड़ भूमि अधिग्रहीत भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments