आइआइटी प्रवेश परीक्षा मे फेर बाजल बिहार क डंका

पटना। भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान क प्रवेश परीक्षा मे चर्चित संस्था सुपर 30 एहि बेर निराश केलक मुदा बिहार क डंका एक बेर फेर बाजल। सुपर-30 संस्थान मात्र 27टा छात्र एहि प्रतिष्ठित परीक्षा मे सफल भ सकलाह। ओतहि बिहार क डीजीपी अभयानंद क निर्देशन मे संचालित रहमानी सुपर 30 क 18 मे स 7 छात्र-छात्रा सफलता हासिल केलथि। दोसर दिस गया मे गरीब बुनकर क एकटा बस्ती मानपुर पटवा टोली क 13टा बच्‍चा सफलता क परचम लहरा देलक अछि। परीक्षा क परिणाम शुक्रदिन जखने आयल पटना स्थित सुपर 30 मे भीड जमा भ गेल। संस्थापक कुमार आनंद कहला जे सफल छात्र क अभिभावक मजदूर, सड़क पर सामान बेचनिहार आ ट्रक मैकेनिक छथि। ओतहि रहमानी सुपर 30 क निदेशक आ बिहार क डीजीपी अभयानंद रिजल्ट कए उत्साहवर्धक कहला। फल्गु नदी क पूर्वी तट पर बसा मिनी मैनचेस्टर क रूप मे चर्चित मानपुर क पटवा टोली क 13टा बच्‍चा आइआइटी प्रवेश परीक्षा मे सफलता पाबि लेलक अछि। हिनकर सबहक माता-पिता पावरलूम मशीन पर सूत बुन कए कपड़ा तैयार करैत छथि। हिनका सब कए मगध सुपर 30 सहित किछु संस्था सब सहायता देलक अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments