अंशु क हालत बिगलड, आइजीआइएमएस मे भर्ती

अहां चाहब त गुंजैत रहत मिथिलाक एकटा मधुर आवाज
कुमुद सिंह
नई दिल्‍ली। मैथिली लोकगीत क सम्मानित आ होनहार गायिका आ शास्त्रीय संगीत क महान प्रतिभा अंशु माला मृत्यु स लडि रहल छथि। हुनका सांस लेबा मे दिक्‍कत भ रहल अछि आ एखन ओ पटनाक आइजीआइएमएस क आपातकालीन वार्ड क कोठली नम्‍बर दू मे भर्ती छथि। मधुबनी क रहनिहारि माला क दूनू किडनी खराब भ चुकल अछि। इलाज़ क लेल टका नहि अछि। ससुर सेहो हुनका स संबंध तोडने जकां अछि। हुनकर पिता ईश्वरनंद झा सीआइडी मे आरक्षी क पद पर जहानाबाद मे पदस्थापित छथि। ओ अपन स्थानांतरण क आवेदन सेहो राज्य सरकार कए देने छथि, जाहि पर निर्णय लंबित अछि। झा कहैत अछि जे ओ अपन सामर्थ स बेसी अपन ‘दुलारी’ पर खर्च कए चुकल अछि। आगू सेहो इलाज लेल ओ हर उपाय करबा लेल तैयार छथि। आर्थिक रूप स असमर्थ रहबाक कारण हुनकर ठोर चुप भ जाइत अछि आ आंखि डबडबा जाइत अछि।
पटना आ दिल्ली सहित देश क विभिन्न हिस्‍सा मे अपन गायकी स श्रोता कए झूमा चुकल आकाशवाणी, पटना क बी ग्रेड कलाकार 27 वर्षीया अंशुमाला शास्त्री नगर,पटना स्थित अनुसचिवीय कर्मचारी क्वार्टर मे कई दिन स दुखित पडल छलीह। एखनो ओ अहांक सहायताक बाट ताकि रहल छथि। राज्य सरकार अवश्य हुनकर मदद करत मुदा सरकार क भरोसे अंशु क जिनगी नहि छोडल जा सकैत अछि। अगर अहां एहि गायिका क आर्थिक मदद करबा लेल इच्‍छुक छी त इ जानकारी मदद कए सकैत अछि-name: anshu mala, a/c no. 30356321958, sbi, delhi university branch, delhi

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments