अशोक पेपर मिल पर हमला, एक गोटेक मौत

दरभंगा। एक दिस जतए मजदूर परिवार मे अशोक पेपर मिल खुलबा स खुशी क माहौल अछि ओतहि दोसर दिस अपन स्‍वार्थ क लेल मजदूरक जिनगी संग पिछला 30 साल स राजनीति क रहल वामपंथी नेता कोनो प्रकार स एहि मिल कए खुलबा स रोकबाक प्रयास क रहल छथि। वामपंथी उपद्रवी शनिदिन राति अशोक पेपर मिल पर हमला क देलक आ मिल परिसर मे लागल ट्रक कए आगिक हवाले क देलक। उपद्रवी कए काबू करबा लेल भेल फायरिंग में एकटा युवक क मौत भ गेल, जखन कि दू गोटे घायल भ गेलाह अछि। सूचना क अनुसार उपद्रवी मिल मालिक धरम गोधा पर सेहो हमला करबाक प्रयास केलथि मुदा ओ बाल बाल बचि गेलाह। रामेश्‍वर नगर थाना स प्राप्‍त भ रहल सूचना क अनुसार स्थिति तनावपूर्ण अछि। ज्ञात हुए जे सोमदिन स मिल मे विधिवत उत्‍पादन शुरू हेबाक अछि आ धनतेरस पर पूजा लेल मिल मालिक धरम गोधा सपरिवार रामेश्‍वर नगर आयल छथि।
घटना क जानकारी दैत दरभंगा क डीआईजी सुधांशु कुमार कहला अछि जे एहि गोलीबारी मे मरनिहार क नाम सुशील साह अछि जे 24 साल क युवक छलाह। डीआईजी कहला जे बेकाबू भीड पेपर मिल मे एकटा ट्रक पर लादल रद्दी सामान कए कैंपस स बाहर ल जेबाक विरोध क रहल दल आ जखन हुनका पुलिस बुझेबाक कोशिश केलक त ओ पुलिस पर पथराव शुरू क देलथि। पुलिस क मुताबिक हिंसा पर उतारू भीड़ पर काबू करबा लेल पहिने लाठीचार्ज कैल गेल मुदा हुनका बेकाबू होइत देख पुलिस कए छह राउंड फायरिंग करबा लेल मजबूर हुए पडल।
अशोक पेपर मिल थाना क्षेत्र मे एहि घटना क बाद तनाव अछि आ ओहि ठाम अतिरिक्त पुलिस बल क तैनाती क देल गेल अछि। रविदिन भोर स डीएसपी नीरज कुमार अशोक मिल परिसर मे कैम्प क रहल छथि। प्रशासनक देख रेख मे शव क अंतिम संस्‍कार क देल गेल। घायलक इलाज चलि रहल अछि। विधान पार्षद विनोद चौधरी इ’समाद स गप करैत पूरा घटना पर अफसोस जतेलथि अछि। ओ कहला अछि जे मिल प्रबंधक कए सब कए विस्‍वास मे ल कए काज करबाक चाही। श्री चौधरी कहला जे मिल प्रबंधक समेत पूरा इलाका क लोक कए इच्‍छा अछि जे मिल स उत्‍पादन शुरू हुए। मिल कए चालू करब सबहक सपना अछि।
ज्ञात हुए जे वामपंथी नेता उमाधर सिंह आ शाहनवाज क संग स्‍थानीय विधायक सेहो मिल प्रबंधन क उपेक्षा स तमसायल छथि। मुदा एखन इ साफ नहि भ सकल अछि जे आजुक उपद्रव मे केकर केकर हाथ अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments