अलका याज्ञनिक क लव सांग पर झूमल पटना


पटना । एहि बेर क वेलेंटाइन डे पटना क युवा लेल यादगार रहल। रविदिन जखन लव सांग क मल्लिका अलका याज्ञनिक ‘का हाल बा पटनाÓ क संग श्रोता स मुखातिब भेलथि त पूरा एसके मेमोरियल हाल ताली आ सीटी स गूंज उठल। फिल्म तेजाब क सुपर हिट गीत एक, दो तीन.. स श्रोता क दिल पर लगातार दस्तक देनिहारि मखमली आवाज क मल्लिका अलका याज्ञनिक कए अपन बीच पाबि श्रोता खुशी स झूमि उठल। हालांकि एहि स पूर्व सा-रे-गा-मा फेम क कलाकार स्वरित शुक्ला हिट गीत स हॉल मे बैसल श्रोता कए पूरा चार्ज करि देने छलाह। हिट गीत तौबा तेरा जलवा, तौबा तेरा प्यार, तेरा इमोशनल अत्याचार.. पर ओ खूब ताली बटोरलथि।
पेग एडवरटाइजिंग एंड मैनेजमेंट सर्विसेज आ आफबीट इंटरटेनमेंट टेम्पल क संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित स्ट्रीग्स 2010 मे पहिल बेर पटना पहुंचल अलका याज्ञनिक कहलथि जे पटना मे कार्यक्रम पेश करबाक इच्छा बहुत दिन स छल। पूर्व मे सेहो कई बेर कार्यक्रम बनल, मुदा पटना आएब संभव नहि भ सकल। गीत क शुरुआत ओ फिल्म कुछ कुछ होता है क टाइटल गीत स केलथि। फेर त एक पर एक गीत क धार स श्रोता सराबोर होइत रहलथि।
एहि स पूर्व बिहार क युवा निर्देशक दिव्याम आर्यन द्वारा निर्देशित फिल्म नालंदा : ए जर्नी टू विजडम क मुख्य अंश क प्रदर्शन कैलगेल। एहि वृतचित्र मे नालंदा क शिक्षायतन क उत्थान-पतन आ ओकर पुनर्निर्माण कए दर्शाउल गेल अछि। कार्यक्रम क संचालन शैलेश कुमार आ मारिया संयुक्त रूप स केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments