अयोध्या स जनकपुर भाया सीतामढी क सपना साकार करबा मे जुटल रेलवे

दरभंगा। अयोध्या स जनकपुर भाया सीतामढी एकटा ट्रेन चलेबाक सपना जल्द पूरा होएत। भारत आ नेपाल मे बिछाउल गेल दू तरहक पटरी कए एक करबाक काज शुरू भ गेल अछि। ओना त जयनगर स जनकपुर एखनो रेल चलैत अछि, मुदा दू तरहक पटरी रहबाक कारण स ट्रेन बदलबाक मजबूरी। भारतीय रेल आब नेपाल रेलवे एहि छोटी लाइन कए बडी लाइन मे बदलबाक काज शुरू करि देलक अछि। भारतीय रेल पडोसी देश नेपाल क संग मैत्री संबंध प्रगाढ करबाक उद्देश्य स लगभग 470 करोड टका क लागत स 70 किलोमीटर लंबा नव बडी रेललाइन बिछेबाक काज शुरू करि देलक अछि। पूर्व मध्य रेलवे क महाप्रबंधक केके श्रीवास्तव कहला जे भारत क जयनगर स नेपाल क बर्दीवास तक बडी रेललाइन बिछेबाक अनुमति रेल मंत्रालय पहिने द देने छल, आब टका सेहो पठा देलक अछि। एहि मार्ग मे स 40 किलोमीटर लंबा रेलमार्ग क हिस्सा नेपाल मे पडैत अछि।
श्रीवास्तव कहला जे एहि रेलमार्ग निर्माण कार्य मे लगभग 470 करोड टका क खर्च आउत जाहि मे स 10 करोड टका आबि गेल अछि। ओ कहला जे जयनगर स जनकपुर तक 30 किलोमीटर लंबा छोटी लाइन अछि, जेकरा बडी लाइन मे परिवर्तित करबाक अछि। महाप्रबंधक कहला जे रेल निर्माण कार्य क लेल सर्वे कार्य पूरा भ चुकल अछि आ निर्माण कार्य अगिला वित्तीय वर्ष (2011-2012) मे पूर्ण रूप स शुरू भ जाएत।
एकटा सवालक उत्तर मे श्रीवास्तव कहला जे चिर प्रतीक्षित दरभंगाक कठहलबाड़ी ओवरब्रिज अगिला साल मई तक आवागमन क लेल चालू करि देल जाएत। संगहि विश्वास क संग कहला जे बिरौल स कुशेश्वरस्थान तक रेलमार्ग अगिला साल तक बनिकए तैयार भ जाएत। ओ कहला जे समस्तीपुर दरभंगा रेल मार्ग क दोहरीकरण सेहो हेबाक अछि, मुदा ओहि लेल कोनो ठोस समय सीमा नहि बना सकैत छी।
श्रीवास्तव कहला जे दानापुर मंडल क पटना-जहानाबाद रेलखंड क दोहरीकरण क कार्य पूरा भ गेल अछि। तारेगना आ जहानाबाद स्टेशन क बीच अप आ डाउन रेलवे ट्रैक बनिकए तैयार अछि। 45 किमी क दूरी तय करबा मे आब कम समय लागत। पूर्व मध्य रेल के मुख्य जनसंपर्क अधिकारी दिलीप कुमार कहला जे पटना-गया रेलवे लाइन क दोहरीकरण क काज प्राथमिकता क आधार पर कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments