अभयानंद हेताह बिहार क नव पुलिस महानिदेशक

पटना। बिहार सरकार भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) क 1977 बैच क अधिकारी अभयानंद कए राज्य क नव पुलिस महानिदेशक नियुक्त केलक अछि। ओ वर्तमान पुलिस महानिदेशक नीलमणि क स्थान लेताह, जे 31 अगस्त कए सेवानिवृत्त भ रहल छथि। राज्य सरकार द्वारा एकर घोषणा करबाक बाद अभयानंद कहला जे ओ अपन अनुभव क आधार पर बेहतर करबाक कोशिश करताह। राज्य क गृह सचिव आमिर सुबहानी कहला जे नीलमणि क 31 अगस्त कए सेवानिवृत्त भेला पर अभयानंद हुनक स्‍थान लेताह। अभयानंद कहला जे नीक पुलिसकर्मी बनबा लेल नीक इंसान होएब जरूरी अछि। हुनक प्राथमिकता क विषय मे पूछला पर ओ कहला जे ओ इ एखन धरि तय नहि केलथि अछि जे हुनक प्राथमिकता की रहत मुदा ओ अपन अनुभव क आधार पर बेहतर परिणाम देबाक कोशिश करताह। अभयानंद कहला जे एक सितम्बर कए नव जिम्मेदारी ग्रहण करलाक बाद एहि विषय पर गौर करताह। पटना मे चर्चित संस्थान सुपर-30 क आधारशिला रखनिहार अभयानंद नीतीश सरकार बनलाक बाद अपराध नियंत्रण करबा मे महत्‍वपूर्ण भूमिका निभा चुकल छथि। हुनक कार्यशैली एकटा गंभीर योजना मे काज करनिहार पुलिस पदाधिकारी क अछि। पढ़ाई क प्रति रूचि रखनिहार अभयानंद क कहब अछि जे हुनकर रूचि हुकर काज आ जिम्मेदारी मे कहियो बाधक नहि बनल।।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments