अपराध रोकबा लेल खुलत नदी थाना

पटना। बिहार सरकार राज्य क दियारा क्षेत्र मे नदी क रास्ता होबै वाला अपराध पर काबू पेबा लेल एहि ठाम नदी थाना योजना कए मंजूरी द देलक। मंत्रिमंडल क बैठक मे बगहा, नौगछिया, सुपौल, पटना आ दरभंगा मे नदी थाना खोलबाक मंजूरी प्रदान केलक। पुलिस क कहब अछि जेपांच नदी थाना खुललाक बाद अपराधी क लेल सुरक्षित मानल जा रहल दियारा क्षेत्र मे हुनकर खिलाफ मुहिम चलेबा मे मदद भेटत। बिहार क पुलिस महानिदेशक आनंद शंकर कहलथि जे नदी थाना क निर्माण नदी क कछैर मे होइत आ ओतहि पुलिसकर्मी क रहबा लेल आवासीय सुविधा सेहो मुहैया कराउल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments