अपन मूल तकबा लेल बिहार अउतथि कमला

पटना। बिहारी होएब हिंदुस्‍तान क महानगर मे रहनिहार किछु लोक लेल अपमानक शब्‍द भ सकैत अछि, मुदा ओ त बिहारी हेबाक सबूत ताकि रहल छथि। कैरेबियाई देश त्रिनिदाद आ टोबैगो क पहिल महिला प्रधानमंत्री कमला प्रसाद बिसेसर अपन परिवार क जडि तकबा लेल बिहार क बक्सर एबाक इच्‍छा प्रकट केलथि अछि। जिला प्रशासन कए एहि संबंध में विदेश मंत्रालय क एकटा पत्र भेटल अछि। कमला क वंशज क गाम बक्सर में इटाढी ब्लॉक क कुकरा पंचायत क भेलुपुर बताउल जा रहल अछि। बक्सर क अनुमंडल पदाधिकारी निशीथ कुमार वर्मा कहला जे भेलुपुर गाम में त्रिनिदाद एंड टोबैगो क प्रधानमंत्री क परिवार क वंश वृक्ष क जडि भेटल अछि। ओ जनवरी क दोसर सप्‍ताह मे जयपुर में प्रस्‍तावित प्रवासी भारतीय सम्मेलन मे भाग लेबा लेल भारत आबि रहल छथि। एहि यात्रा क दौरान ओ अपन गाम सेहो एबाक इच्‍छा प्रकट केलथि अछि। कमला क गामक पता त्रिनिदाद क एकआ जांच एजेंसी गहन जांच क बाद पता लगेलक अछि। जिला प्रशासन गाम जा कए जायजा लेलक अछि आ गाम मे एकटा हैलीपैड क निर्माण कैल जा रहल अछि। 59 वर्षीय यूनाइटेड नैशनल कांग्रेस पार्टी क नेता क जडि बक्सर क रामजतन पंडित क परिवार स अछि। पंडित क परिवार गाम मे हैजा भेलाक बाद असम चल गेल छल। असम स एहि परिवार कए गिरमिटिया मजदूर क रूप में कैरेबियाई देश पठा देल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments