अन्य पिछड़ा वर्ग क सूची मे शामिल भेल बिहारक अदरखी जाति

नई दिल्ली। प्रधानमंत्री क अगुवाई मे भेल केंद्रीय मंत्रिमंडल क बैठक मे बिहार स जुड़ल अन्य पिछड़ा वर्ग क सूची मे अदरखी जाति कए सेहो शामिल करबाक निर्णय लेल गेल। गौरतलब अछि जे अदरखी जाति कए अन्य पिछड़ा वर्ग क सूची मे शामिल करबाक सिफारिश राष्ट्रीय पिछड़ा वर्ग आयोग केने छल।
एकर अलावा सरकार पहिल बेर छत्तीसगढ़ आ झारखंड मे अन्य पिछड़ा वर्ग क लेल केंद्रीय सूची जारी करबाक फैसला केलक अछि। एहि दूनू नव गठित राज्य क अलावा केंद्रीय सामाजिक न्याय आ अधिकारिता मंत्रालय हरियाणा, हिमाचल प्रदेश, कर्नाटक, राजस्थान आ केंद्र शासित प्रदेश दमन व दीव क अन्य पिछड़ा वर्ग संबंधी केंद्रीय सूची मे संशोधन क फैसला लेलक अछि। एहि फैसला क बाद संबंधित राज्य मे अन्य पिछड़ा वर्ग मे शामिल कईटा जाति कए केंद्र सरकार क नौकरी आ केंद्रीय शैक्षणिक संस्थान मे आरक्षण क लाभ भेट सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments