अन्तराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन काठमाण्डौ मे 22 आ 23 दिसम्बर केँ

काठमाण्डौ| अन्तराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन काठमाण्डौ मे 22 आ 23 दिसम्बर 2010 केँ श्री रामभरोस कापड़ि “भ्रमर”क संयोजकत्वमे आयोजित भऽ रहल अछि। श्री कापड़ि नेपाल प्रज्ञा संस्थानमे मैथिलीक प्रतिनिधित्व कऽ रहल छथि आ ई साहित्य क्षेत्रमे नेपालक सभसँ पैघ प्रतिष्ठाबल पद अछि ओहिना जेना भारतमे “साहित्य अकादमीक फेलो” होइत अछि।
22 दिसम्बर 2010 केँ ई आयोजन नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, कमलादी, काठमाण्डौ आ 23 दिसम्बर 2010 केँ अग्रवाल सेवा केन्द्र, कमल पोखरी, काठमाण्डौमे आयोजित होएत। दुनू दिन आवस आ भोजनक व्यवस्था ग्रवाल सेवा केन्द्र, कमल पोखरी, काठमाण्डौमे रहत।
साभार -मैथ‍िल आर म‍िथ‍िला

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments