अनिल कए प्रशासनिक सुधार मिशन क अतिरिक्त प्रभार भेटल

पटना। राज्य सरकार क जन शिकायत सचिव सीके अनिल कए अपर निदेशक बिहार प्रशासनिक सुधार मिशन क अतिरिक्त प्रभार सौंपल गेल अछि। हाल मे सरकार नरेगा, विधवा-विकलांग पेंशन, मुख्यमंत्री साइकिल, पोशाक आम जनता स जुड़ल योजना कए तेजी स लागू कराब क लेल विभिन्न अधिकारी कए अतिरिक्त जिम्मेदारी सौंपल गेल छल। ओहि मे मामूली फेरबदल कएल गेल अछि। कृषि निदेशक बी राजेन्दर कए अनुसूचित जाति आ जनजाति छात्रावास क विशेष अधिकारी क अतिरिक्त दायित्व सौंपल गेल अछि। जखन कि निदेशक मध्याह्न भोजन योजना (मानव संसाधन विभाग) क मुख्यमंत्री पोशाक योजना के बदला मुख्यमंत्री बाल पोशाक योजना आ बालिका पोशाक योजना क विशेष पदाधिकारी क अतिरिक्त जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments