अनिता मंडल कए भेटल रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान

नई दिल्‍ली। मलंगिया महोत्सव क तेसर दिन, महामहिम राष्ट्रपति, नेपाल क स्वागत आ “ओकर आँगनक बारहमासा” क सफल मंचन क बाद मिथिला नाट्य परिषद् क अभिनेत्री अनिता मंडल कए मैलोरंग द्वारा रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान स सम्मानित कैल गेल। ज्ञात होए जे रंगकर्म मे महिला क सक्रियता क लेल वर्ष 2006 स मैलोरंग एहि सम्मान कए दैत आबि रहल छल। एहि बेरक सम्मान क लेल मिथिला नाट्य परिषद् क सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री अनिता मंडल कए चुनल गेल छल। अनिता जी क जन्म 14 जुलाई 1985 म नेपाल क धनुषा जिला म भेल छल। ओ 2005 स मैथिली रंगमंच मीनाप ( मिथिला नाट्य परिषद्) स जुडल छैथ। मैथिली क दर्जनों नाटक हाय रे हमर घरबाली, ओ खाली मुहें देखै छैक, छुतहा घैल, गाम नै सुतैय, डोमकछ आदि नाटक मे काज केने छैथ। अनिता जी अखैन धैर लगभग बीस टा नुक्कड़ नाटक क एक हज़ार स अधिक प्रस्तुति केने अछि। संगे मैथिली आ नेपाली क कैकटा टेलीफिल्म आ सीरियल मे काज केने छैथ। अहाँ आबय बला मैथिली फिल्म “छुटत नै प्रेमक रोग” मे सेहो अभिनय केलैथि अछि। रंगकर्म क अलावा अहाँ लेखनाथ मेमोरियल बोर्डिंग स्कूल मे बतौर अध्यापिका काज क रहल छथि। मैथिली रंगमंच म हिनकर अभूतपूर्व योगदान क देखैत मेलोरंग एहि बेर हिनका प्रमिला झा नाट्य वृति स सम्मानित केने अछि। एहि सम्मान क प्रायोजक अछि हिपसेड ( एच आई पी सी इ डी), हिपसेड 2010 स लगातार एहि सम्मान क प्रायोजित केने आबि रहल छल। एही अवसर पर अनिता झा कहलैथि जे ओ एहि सम्मान क पाबि क धन्य भेल। संगही मैलोरंग क कोटि-कोटि धन्यवाद देलैनि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments