अगिला साल शुरु भ जाएत पूर्णिया आ दरभंगा विमान सेवा

विशेष समदिया
purnia-darbhanga-air-servicesपटना। अटल सरकार जेना बिहार मे मोबाइल क्रांति अनलक मोदी सरकार तहिना बिहार मे हवाई क्रांति अनबाक खाका तैयार क लेलक अछि। तैयारी ठीक ठाक रहल त अगिला साल बिहारक आधा दर्जन शहर स विमान सेवा शुरु भ जाएत। राजधानी पटना क वर्तमान एयरपोर्ट क संगहि बिहटा एयरबेस पर सेहो नगारिक सेवा उपलब्ध होएत। संगहि पूर्णिया आ दरभंगा एयरबेस कए सेहो नागरिक सेवा लेल उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। बिहटा गया पूर्णिया आ दरभंगा स पैघ जहाज जखन कि पटना भागलपुर आ रक्सौल कए छोट विमान लेल उपलब्ध करेबाक योजना अछि।
मंगलदिन पटना मे एहि संबंध मे एकटा उच्चतरीय बैठक भेल। जाहि मे योजना कए मूर्त देबा लेल कार्ययोजना तैयार कैल गेल। दोसर दिस नीतीश कैबिनेट सेहो बिहटा लेल अतिरिक्त जमीन उपलब्ध करेबा लेल राशि निर्गत क देलक। जमीन अधिग्रहण क लेल 260 करोड़ क राशि स्वीकृत कैल गेल अछि। पटना आ बिहटा एयरपोर्ट कए फेर स बनाउल जाएत। दूनू एयरपोर्ट पर सालाना 15-15 लाख लोक सेवा विमानक उपयोग क सकत।
एहि लेल बिहटा एयरपोर्ट लेल 109 एकड़ जमीन अधिग्रहण होएत। ओहि ठाम एयरफोर्स क संग कॉमर्शियल तौर पर इस्तेमाल भ सकत। पटना एयरपोर्ट पर स्थित स्टेट हेंगर कए तोडल जायत आ एहि ठाम दस टा विमान क ठहराव लेल जगह बनाउल जाएत। इ काज अगिला दू साल मे पूरा क लेल जाएत। गया एयरपोर्ट कए अपडेट करबाक काज जारी अछि। पूर्णिया कए अंतरराष्ट्रीय सेवा लेल फरवरी तक तैयार कैल जा रहल अछि, जखन कि दरभंगा कए पैघ छह मासक भीतर विमान उतरबा लेल तैयार करबाक योजना अछि। रक्सौल आ भागलुपर मे छोट विमान उतारबाक योजना अगिला साल क अंत तक अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे अगिला साल क अंदर एहि सब ठाम विमान उतरबा जोकर सुविधा उपलब्ध करा देल जाएत। ओना एखन पटना आ गया से सेवा उपलब्ध अछि।
मंगलदिन पटना एयरपोर्ट पर भेल बैसार मे सिविल एविएशन क सचिव आरएन चौबे, एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया क चेयरमैन गुरु प्रसाद मुहापात्रो, अथॉरिटी क मेंबर प्लानिंग सुधीर रहेजा, बिहार क मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह, कैबिनेट सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा, डीएम संजय कुमार अग्रवाल, पटना एयरपोर्ट क निदेशक आरएस लहोरिया, एयरफोर्स क एयर वाइस मार्शल नाभ सर्वसम्मति स इ सब निर्णय लेलथि। बैसारक बाद एयरपोर्ट अधिकारी सब बिहटा समेत सबटा एयरपोर्ट क जायजा लेलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments