अगिला साल तक होएत निर्मली-लौकहा खंड क आमान परिवर्तन

दरभंगा। पूर्व मध्य रेल क महाप्रबंधक केके श्रीवास्तव कहला अछि जे सकरी-निर्मली आ झंझारपुर-लौकहा रेलखंड क आमान परिवर्तन अगिला साल पूरा भ सकत। बिरौल क लेल चलि रहल ट्रेन क वर्तमान समय अनुकूल नहि हेबाक बारे मे ओ कहला जे एकरा बदलबा पर विचार चलि रहल अछि।
जीएम समस्तीपुर मंडल क प्रस्तावित शटल सेवा क बाबत कहला जे डेमू ट्रेन एहि इलाके मे सेहो आउत, मुदा एहि लेल समय लागत। दरभंगा-कुशेश्वरस्थान नव रेल लाइन क संबंध मे ओ कहला जे जमीन अधिग्रहण क काज चलि रहल अछि। दरभंगा- मुजफ्फरपुर नव रेल लाइन क लेल सर्वे क काम पूरा भ गेल अछि। आगूक प्रक्रिया जारी अछि। दरभंगा मे नव पीआरएस भवन, एफओबी सहित मिथिला पेंटिंग क माध्यम स स्टेशन कए मिथिला लुक देबाक कोशिश क बारे मे सेहो जीएम विस्तार स जानकारी देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.