अगिला साल चालू भ जाएत कोसी रेल पुल : मुनियप्पा

पटना : रेल राज्य मंत्री केएच मुनियप्पा कहला अछि जे दीघा स आर.ब्लाक तक सड़क निर्माण लेल दीघा-पटना रेलवे लाइन क हस्तानांतरण राज्य सरकार कए शीघ्र क देल जाएत। एकरा लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स गप भेल अछि। जमीन क बदला जमीन मांगल जा रहल अछि ताकि हाजीपुर मुख्यालय आ स्टेशन क विकास भ सकए।
रेल राज्य मंत्री रविदिन पूर्व मध्य रेल क्षेत्र मे चलि रहल विकास कार्य क समीक्षा करबा लेल बिहार आयल छलाह। समीक्षा क बाद आयोजित संवाददाता सम्मेलन मे ओ कहला जे दीघा, मुंगेर आ कोसी मे बनि रहल मेगा पुल निर्माण क कार्य समय पर पूरा करबा लेल अगिला साल मार्च क बाद पूरा राशि द देल जाएत। ज्ञात हुए जे 16 साल बाद कांग्रेस कए रेल मंत्रालय भेटल अछि। सब राज्‍य मे समान रूप स विकास क कार्य करबाक दावा करैत मंत्री कहला जे पुल निर्माण लेल केन्द्र सरकार अपन हिस्सेदारी क 54 फीसद राशि द देलक अछि जखनकि 46 फीसद राज्य सरकार कए देबाक अछि। छपरा क बेला मे रेल पहिया फैक्ट्री स उत्पादन शुरू हेबाक सूचना दैत ओ कहला जे इ एकटा पैघ उपलब्धि अछि।
ओ कहला जे 12म वित्त आयोग मे रेलवे दिस स विकास कार्य पर 40 हजार करोड़ क राशि खर्च करबाक योजना अछि। रेलवे आठ साल मे 1000 किमी नव रेल लाइन क निर्माण कार्य केलक अछि। बिहार कए आठ आठ साल मे 142टा नव ट्रेनें भेटल अछि। जखनकि 86टा ट्रेन कए विस्तार आ 28टा क बारंबारता बढ़ाउल गेल अछि।

मुनियप्पा कहला जे शीघ्र हरनौत क कैरेज मरम्मत कारखाना, सोनपुर क डेमू शेड आ समस्तीपुर क वर्कशाप क निर्माण कार्य पूरा क लेल जाएत। पाटलिपुत्र स्टेशन क निर्माण मे 72 करोड़ क राशि खर्च कैल गेल अछि। एहि ठाम स शीघ्र ट्रेन दौड़त। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स एहि संबंध मे गप भेल अछि। नीतीश कुमार स लंबित रेल परियोजनाओं पर विस्तृत चर्चा कैल गेल अछि आ रेलवे दिस स एकरा शीघ्र पूरा करबाक आश्वासन देल गेल अछि। आश्‍चर्य विषय रहल जे मुनियप्पा मढोरा और मधेपुरा रेल इंजन कारखाना क विषय मे कोनो जानकारी नहि देलथि, ओतहि स्‍थानीय पत्रकार सेहो एहि संबंध मे हुनका स कोनो प्रश्‍न नहि केलथि। गौरतलब अछि जे मधेपुरा स जयदू अध्‍यक्ष सांसद छथि आ इ परियोजना लालू अपन कार्यकाल मे देने छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments