अक्टूबर तक पूरा भ जाएत सीतामढ़ी-बैरगनिया बड़ी लाइन

सीतामढ़ी। सीतामढ़ी स्टेशन पर बनि रहल माडल स्वरूप क निरीक्षण करबा लेल आयल डीआरएम कुंदन चौधरी कहला अछि जे बैरगनिया-सीतामढ़ी रेल खंड पर आमान परिवर्तन क काज शुरू अछि। ओ कहला जे मेगा ब्लाक भ चुकल अछि। अक्टूबर तक कार्य कए पूरा करि लेल जाएगा। वर्ष 2011 तक रक्सौल तक बड़ी लाइन क निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य अछि। ओ कहला जे सीतामढ़ी स्टेशन क स्वरूप दर्शनीय बनाउल जा रहल अछि। सीताक जन्मस्थली हेबाक कारण स एकरा माडल स्टेशन क रूप मे विकसित करि अत्याधुनिक सुविधा स लैस कैल जा रहल अछि। डीआरएम स्टेशन क हर विभाग क गंभीरता स निरीक्षण करैत मौजूद अधिकारी कए निर्माण काज मे पारदर्शिता क निर्देश देलथि। चौधरी कहला जे सीतामढ़ी मे आब माल उतरए लागल अछि, आब नारायणपुर अनंत स सामान क ढुलाई नहि करए पड़त। आवश्यकता क अनुरूप रैक उपलब्ध कराउल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments