अंतरराष्ट्रीय कराटा मे चारिटा धीया क चयन

दरभंगा। दरभंगा क बेटी राज्‍यक अलावा देश मे अपन क्षमता क धाक जमेलाक बाद आब अंतराष्ट्रीय स्तर पर सेहो मिथिला क प्रतिभा कए सम्मान दियेबा लेल प्रयासरत छथि। मलेशिया क शहर क्वालालाम्पुर मे 11-12 फरवरी कए शुरू भ रहल अंतरराष्ट्रीय कराटे चैम्पियनशिप मे दरभंगा क चारिटा स्कूली छात्रा कए चयन भेल अछि। इ चारू छात्रा महिला सामाख्या क अधीन संचालित कस्तूरबा गांधी आवासीय बालिका विद्यालय क छात्रा छथि। छात्रा कए आत्मरक्षा मे निपुण बनेबा क उद्देश्य स महिला सामाख्या जे जूडो, कराटा क प्रशिक्षण अपन छात्रा कए देने छल ओहि मे स एहि चारू नगीना बनि चमकलथि अछि। महिला सामाख्या क जिला कार्यक्रम समन्वयक अल्पना मिश्रा कहलथि जे मलेशिया मे शुरू भ रहल कराटा चैम्पियनशिप लेल जाहि चारिटा छात्रा क चयन भेल अछि ओहि मे स तीनटा सदर प्रखंड क रानीपुर स्थित कस्तूरबा विद्यालय क आठवीं कक्षा मे पढैत छथि। एहि मे कंचन कुमारी, परवीन नाजदा आ कुमारी कंचन शामिल छथि। जाले क दोघरा स्थित कस्तूरबा विद्यालय क छात्रा कुमारी पूजा क चयन सेहो चैम्पियनशिप लेल भेल अछि। चारू छात्रा क पासपोर्ट महिला सामाख्या बनवा देलथि अछि। वीजा सेहो भेट गेल अछि। चारू छात्रा क रवानगी क कार्यक्रम सेहो तय भ गेल अछि। ज्ञात हुए जे महिला सामाख्या क अधीन कस्तूरबा विद्यालय क दूटा छात्रा कश्मीर मे भेल राष्ट्रीय चैम्पियनशिप मे कराटा क खिताब जीतने छलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments